संयुक्त लोकतान्त्रिक मधेसी मोर्चाक बिरोध सभा सम्पन् ।
Advertise Here Book Now

कृष्ण मोहन चौधरी ।
सुखीपुर (सिरहा) आसिन २० गते ।
संयुक्त लोकतान्त्रिक मधेसी मोर्चाक आयोजन निर्वाचन क्षेत्र नं ४ रक आयोजनामे बृहत बिरोध सभा सिरहाक सुखीपुरमे सम्पन्न कयलक अछि ।
नेपाल सद्भावना पार्टीक अध्यक्ष राम बहादुर महतो अध्यक्षता तथा पुर्व मन्त्री बिजय यादव प्रमुख अतिथ्य कार्यक्रम सम्पन् भेल संघिय समाजबादी फोरम नेपालक जिल्ला सचिव बिन्देशवर पंजियार बतौल्नहि ।
बिरोध सभामे मोर्चाक तथा सम्पूर्ण मधेसबादी दललक केन्द्रीय नेता भु पु सभासद राजलाल यादव लगायत निर्वाचन क्षेत्र नं ४ रक १६ गाविसक जनता ,बुद्धीजीवी सभक उल्लेखनिय सहभागिता रहल छल ।
सभामे बिगत २ महिनास चलि रहल मधेस आन्दोलनक समवन्धमे सरकार कोनो तरहक सुनुवाई नहि कयने आ सत्ताक खेलमे तिन दल भिरल बिरोध केलन्हि ।
मधेस आन्दोलन आ मधेसक मुद्दासभक बिषय अपर जानकारी आ आैचित्य मधेस बिरोधी सरकारक बिरोध आ आव बिगत जका कोनो उधारी सहमती कोनो परिस्थितिमे स्वीकार नहि होएवाका अधिकांश वक्तासभ संवोधन केने छल ।
संगहि मधेस आन्दोलन आ विगत मे भेल अन्तरिम संविधानमे८ बुन्दे आ २२ बुन्दे सहमति के समवन्धमे प्रोजेकटर प्रबिधीसंग जनता समक्ष भुतपूर्व सभासद तथा मन्त्री प्रस्तुति कयने छला संगही आे कहलन्हि हमरा सभक कोनो नायाँ माग नई रहल जानकारी देलैन्हि ।

Was this article helpful?

Yes
No
Thanks! Your feedback helps us improve onlinesiraha.com

प्रतिकृया दिनुहोस्