【 दहेज 】नाटक
Advertise Here Book Now

 मिथिलामे आगीके धधरा जकाँ बढैत जारहल छै दहेज , जेकर कारण कतेकके आत्महत्या करऽ पडैय यें, कतेकके घरसे बेघर हुवँ पडैय छै तऽ किनको शादी हुवैय सँ पहिनें आत्महत्या करऽ लेल मजबुर कऽदैत छै यी दहेज । अही विषयबस्तुसबके समिटिके लिखल गेल मैथिली चेतनामुलक नाटक
【 दहेज 】
Siraha Times's photo.दृश्य प्रथम , समय बिहानक' 
( कल लगक दृश्य , बलूकू कनियाँ भाँडावर्तन माँझैत , किछुकाल वाद बलूके माँ भिखनीकू एनाई आ बलूकू कनियाँ माने अपन पुतौहके गरिएनाई शुरु )
‪#‎भिखनी‬:- गै कूलक्षिनी , सुरुज उगिके कतऽस कतऽ गेलै आ तू अखन भर्खर हाँडी माँझ बैसलेए । भाइ बापके कपार परके बोझ रहिं । दहेजमे गछल पाय आ सामानसब अखनतक नें देलक । गुलटेनमाँकू देखूँ सामिनसे घर भरि दलकै यें आ मोटरसाईकल सेहो देलकै । हमर बेटाके तँ कपार फुटल रहै जे अहि उसनहैर संग बियाह भेलै । हे भगवान ! भागबो नें करे छै ।
( एतेक बाजिके भिखनी बारीके काजमे जाई छै । एमहर बलूके कनियाँ ताराके सबदिनके हरहर खटखठ आ गरिएनाई सुनिके असहज भ'जाएत छै। अन्तमे कानैत तारा भाँडावर्तन मझनाई छोडिके घरके भितर चलि जाएत छै । किछुकाल भिखनीके अंघनामे प्रवेश ।)
#भिखनी:- की करैं छह हे घरमें , घर खोल नें हे ? रे गुलटेन बौवा घरमे छिहि नें रे ?
‪#‎गुलटेन‬:- हँ काकी हम घरे मे छियै । कहूँ कथी कहै छी ?
#भिखनी:- बौवा एकबेर दौडिके हमरा अहिठना आ नें रौं ।
‪#‎गुलटून‬:- की भेल काकी, की भेल ?
#भिखनी:- देखही ने बलूके कनियाँ घरमे ढुकिके ओमहरसे बिलैया लगा लेने छै खोल कहै छियै तँ नैं खोलिरहल छै ।
(अही बिचमे भिखनीके बेटा बलूके बिदेश सँ घर एनाई )
‪#‎बलू‬:- की भेलै माँ ? की भेलै गुलटेन भाइ ?
#गुलटेन:- की हायत ! हरदम काकी भौजी पs बरबराइत जे रहै छेल तैं...! भौजी यै , यै भौजी केवार खोलूँ ?
(अन्तमें बलू आ गुलटेन मिलिके केवार तोडिके घर भितरके दृश्य देखै छै तारा 'बलूके कनियाँ' फाँसी लागल । बलू छाती पिटपिट कान लागैत छै , गामक'लैग जम्मा भ'जाएत छै , पुलिस आवै छै आ छानबिनके बाद भिखनीके जेल होएत छै। बलू अपन पत्नीके फाँसीलागिके आत्महत्या केला दृश्य देखि कऽ. पागल भ'जाएत छै आ घर छोडिके जनेतनें बौवाबें लागल ।
पर्दा खसैत अछि।
प्रथम दृश्यके अन्तय ।
प्रयास प्रेमी मैथिल उर्फ ( राम नारायण जी )के लेखमे 
ओम प्रकाश यादव उर्फ प्रकाश मैथिल के  सम्पादकीय मे समर्पित 

Was this article helpful?

Yes
No
Thanks! Your feedback helps us improve onlinesiraha.com

प्रतिकृया दिनुहोस्